Thursday, 28 June 2012

गजल

गजल-२५

मोहक मद में मातल जेऽ मोनक मीत बनै छी
ठेस कोना नञि लागत आन्हर भऽ प्रीत करै छी

श्रृंगारक पाछा आन्हर नै केलौं प्रेमक मोजर 
श्यामल तन अनुरागे आ विरहे पीत पड़ै छी 

पापी पेट पोसै लै परदेस देलौं पेटकुनिया
भरि जग सँ बौएलौं आब घरक भीत धरै छी

हाइरक डर डेरा कऽ छोड़ि देलौं सच बाजब
फूइसक गाछ छड़पि कऽ दुनिया जीत कनै छी

काँट - कूश सभ नंघलौं आऽब बाट जुनि पलटू
अहाँ संउसे खीरा खा कऽ कियै पेनी तीत करै छी

अनका सोझ उगललौं जेठक रौदी सन बोली
धधकल अपन करेजा पूसक - शीत तपै छी

अनकर मोन कलपतै कल्पऽ दियौ की करबै
अपना नीकक चिंता मनमरजी रीत रचै छी

कर्मक ई बान्ह-बन्हौटा कियै बान्है छियै अनेरे
बस चारि डेग चललौं आ से बीते-बीत नपै छी

"नवल" रमल अपना में कविता - पाठ करै छी
गजल कहै छी कखनो आ कखनो गीत गबै छी

--- वर्ण- १८ ---
(सरल वार्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
< २८.०६.२०१२ >

बाल गजल

बाल गजल-५

कीन दे मुरही-कचरी-झिल्ली लवनचूस आ बिसकुट माँ 
लोढि बाधसँ धान जे अनलौ तकर कीन दे तिलकुट माँ

धान अगोअं के जे उसरगल तकर कीन दे फीता-बाला
काकी जे देलखिन बाला से हाथमें होई छइ छुट-छुट माँ

ललका फीता गूहल जुट्टी तेल सँ माथा गमकै गम-गम
थकरै केश जहन ककबा लऽ ढील केऽ मारै पुट - पुट माँ

देखि भूख सँ लोहछल नेन्ना दुःख-सुख सभटा लोप भेलै
भंसा घर में घाम सँ भीजल काज करै सभ चुट-चुट माँ

होय कहाँ अनका देखबैलै "नवल" इ मायक माया-तृष्णा
भेड़ निन्न तइयो कहि खिस्से दूध पियाबय घुट-घुट माँ

--- वर्ण- २२ ---
(सरल वार्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
< २४.०६.२०१२ >

Tuesday, 26 June 2012

गजल

गजल-२४

कने काल लै जे काज लसियैल जाय छै 
ओ अहिना दिने -दिन बसियैल जाय छै 

जकरा बूइध में छलैयै वियैधि धेने 
आब बुइधिए सँ ओहो खियैल जाय छै 

पहिने दूधो - दही के नञि नपना छलै 
आब नापिए क पाइनो पियैल जाय छै 

जों धिया के वियाह मांग अनुचित भेलै
बेटा बेचै लय बोगली सियैल जाय छै

जाबे तौला भरल ताऽ तऽ सुरसुर केलौं
आब जोड़ण लै टोल छिछियैल जाय छै

मूंह देखिये कऽ मुंग्बा बाँटय के चलन
एत भेटै नै किछु सभ दियैल जाय छै

छलै करनी ई कारण आ की कुसमय
किछु निरोगो जे छल बझियैल जाय छै

कतौ आंचे ओतेऽ नञि की इनहोर हेतै
कतौ धधरा ततेऽ जे उधियैल जाय छै

कामना में "नवल" होश सभके मतल
कियै जोशक लहरि भसियैल जाय छै

--- वर्ण- १५ ---
(सरल वर्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
< २७.०६.२०१२ >

Monday, 25 June 2012

गजल


गजल-१७
 
काजर सन कजरौटो कारी भाग जगैयै काजर के  
पाकि रहल कजरौटा त की सुख भेटैयै काजर के
 
लोक करइयै मोहित भ घाट-बाट काजर के चर्चा 
कजरौटा के हाल के पूछत सभ देखैयै काजर के  
 
अवहेलित  कजरौटा  खाली  काजर नयन नचैयै
कोन धेने  कजरौटा बैसल  देखि जड़ैयै काजर के
 
कजरौटा के भाग सिया सन सुख सपनेहु नै भेल
टेमी सँ पुछियऊ ओ सभटा भेद बुझैयै काजर के
     
"नवल" हाथ लेती कजरौटा फेर लगेती काजर ओ 
अहि मोह में फंसि कजरौटा फेर पोसैयै काजर के 
 
 --- वर्ण- २० ---
(सरल वर्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
 < २६.०६.२०१२ >

गजल


गजल-१६
 
ओहिना आंइख की कम कारी जे काजर के विनयास केलौं
मेघ  करिकबा  भादव  केऽ  तकरो  रंगक परिहास केलौं 
 
अरिकंचन सन  काया  तैऽ पर  ई सोलह श्रृंगार गजब
पिया मिलन के राति अहाँ श्रृंगार अलग किछु खास केलौं  
 
नेह  छोड़ि  नमरी लऽ नचलहुं जीवन गेल  निरसता में
देश - विदेश कतेऽ छिछियेलौं अनढन केऽ वनवास केलौं  
 
मानल छी दोखी हम सजनी मुदा आब सप्पत ल लीयऽ
गोल - गोल कारी नयना कियै काजर पोईछ उदास केलौं  
 
अनुराग शेष नहि टाका केऽ कोठा नेऽ आब बखारिक मोह
अहीं करेजा प्रीतक धन लऽ "नवल" आब घरवास केलौं 
 
 --- वर्ण- २२ ---
(सरल वर्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
 < २५.०६.२०१२ >

गजल


गजल-१४
 
बौआ के छटिहारक राइत मिथिला-विधिए नियारल काजर 
शुभग - सिनेहक ठोप करिकबा मौसी हाथक पारल काजर
 
नवरातिक अहि शुभ-बेला में अबै अष्टमिक राति डेराओन
माय अपन संतति सभके तें आंखि दुनु चोपकारल काजर
 
अन्हरिया राति अमावस के ई दीप - पुंज मुंह दूइश रहल    
राइत दिवालिक लेसल टेमी तंत्र - मन्त्र  उपचारल काजर 
 
कते सुहन्गर स्वप्न सजोने कजरायल आँखिक पेपनी पर
बरसाति -पंचमी- मधुश्रावनि नवकनिया के धारल काजर 
 
नव यौवन के नव तरंग इ  "नवल" मोन भसियेबे करतै 
गोर-गोर चन्ना सन मुंह पर सजनी कियै लेभारल काजर
 
 --- वर्ण- २४ ---
(सरल वर्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
< २५.०६.२०१२ >

Saturday, 23 June 2012

गजल

गजल-९

सभ मात-पिता केर शौख-सेहन्ता बौआ करता नाम
मगन जुआनिक माया नगरी बौआ मनसुख राम

छथि बाबू-पित्ती घरक धरणि थम्हने बनि क खाम
संतति कर्म सँ देह नुकौने करम केने अछि बाम

बाबुक अरजल पर में फूटानी माटि लगै नै चाम
जों अपना कन्हा हर पड़ल त जय-जय सीता-राम

अन्तह शोणित सुखा रहल आ घर बहय नै घाम
बबुआनी केर अजब छै सनकी बैरी भ गेल गाम

ईरखे नान्गैर कटबै लै जे तेजलक मिथिला धाम
परदेसक माया ओझरायल घूमि रहल छै झाम

अपना आँगन सोन छोईड़ क अनकर बीछी ताम
घर छोड़ि घुर-मुड़िया खेलक कहिया लागत थाम

मोल बुझय नहि भावक भाषा भाव पूछय नै दाम
चलु रहब माँ मैथिल आँगन नेह बहय जै ठाम

"नवल" निवेदन मैथिल जन सँ छोडू नै मिथिलाम
छै पागक शोभा माथे पर आ चरणहि नीक खराम

----- वर्ण - २० -----
►नवलश्री "पंकज"◄

बाल गजल

बाल गजल-१
निश्छल-निर्मल कोमल बचपन
धिया-पुता केर अलगहिं जीवन
चलैत रहछि  सभके अंतर्मन
भावक अजबहिं कूटन - पीसन
छै देह लेढायल मोन ई कंचन
कमल-फूल सन लागै अनमन 
क्षण ठिठियै क्षण कानै अनढन
चट सलाह आ झट द अनबन
बस टांट सोहारी बसिया तीमन
उठि भोरहरबा  सभ सँ नीमन
इस्कूल सँ बचबा लेल धरछन
नीक लगई छई मरुआ मीरन
कितकित पाड़ल सगरो आँगन
चईत-कबड्डी मुँह में सदिखन
हो मेघ-सुरुज या चान-तरेगन
जहि पर हाथ धेलक से अप्पन
"नवल"कथी फुरि जेतय कक्खन
बाल-मनक नै किछु परिसीमन
  --- वर्ण- १३ ---
(सरल वर्णिक बहर)
►नवलश्री "पंकज"◄
< ०४.०४.२०१२ >